Sunday, August 21, 2022

जौं घर टूटल सुख नहि बाँचत

बचपन  समय बिताओल कोना?
कियो शिखर पर आओल कोना?

बाँटू   अनुभव   घर - पड़ोस   मे 
अप्पन   डेग   बढ़ाओल   कोना?

वर्तमान     झाँकी      इतिहासक
के, की, कखन सिखाओल कोना?

जिनक  छलहुँ   सहयोगी  हुनके
आँखिक पानि सुखाओल कोना?

प्रेम  आपसी   मूल  छी  घर  के
परिजन आगि  लगाओल कोना?

जौं  घर  टूटल  सुख नहि बाँचत
बूझियौ   चैन  लुटाओल  कोना?

नहि  उपदेश  बुझु  अनुभव केर 
गजल  सुमन  ई गाओल कोना?

No comments:

Post a Comment